सोमवार, 31 अक्टूबर 2016
भरदुतिया
- भरदुतिया
- *************
- द्वितीया ई अद्वितीया तिथि थिक
- "भरदुतिया" कहाबय।
- भाइ-बहिन केर पावन प्रेममय
- अमिय-कलश छलकाबय।।
बहिन तोहर आइ नोत लेबा मे
भ$ रहल संकोच गै।
आइयो नारि नहि सम्मानित
विकृते समाजक सोच गै।।
सबहक बहिन हो समादृत
नहि नारी नर सँ भयभीत हो।
उन्मुक्त अकाश उड़ान भेटै
जीवन सहज संगीत हो।।
आउ भाइ होइ दृढ़-प्रतिज्ञ
एहन समाज बनाबी।
नर-पिशाचक पंजा सँ
नारिक स्वातंत्र्य बचाबी।।
नहि हो शोषित-उत्पीड़ित घर-बाहर
सब बहिनिक बहिना निर्भय हो।
जाग्रत नारि शक्ति-सम्पन्ना
ज्योति-पुंज सन,जय जय हो।।
--अशोक झा 'दुलार'
०१-११-२०१६
सदस्यता लें
संदेश (Atom)
नववर्ष शुभकामना
नववर्ष की शुभकामना ************** आ गया नववर्ष मस्ती छा गया / वर्ष पिछला बीत जब प्यारा गया// काल का ये चक्र रुकता है नहीं, ज़िन्दगी का ग...
-
भोरुकबा *********** भोरुकबा-भोर ***************************** अपनहि तक परिवार बूझय जे अनुशासन माने मात्र निबंध। अस्तित्व-केंन्...
-
मधुमय ई मधुमास बसंती, मादक मादक बहै बसात। मंजर महमह आम्र विटप, भुलकि उठल हो गात। राग-पराग पवन उड़ाबय, कोइलीक पंचम ता...
-
बंकू बाबू डुग्गू बाबू जाड़ बड़े परै छै यौ। किट किट दाँत बजैए हाथ पैर ठरै छै यौ। जाड़ कसैया बड़े निर्दैया ककरो कहाँ छोड़ै छै यौ। बुढ़...